दिल्ली-एनसीआर के PVR मल्टीप्लेक्स में रिलीज होगी मैथिली फ़िल्म लव यू दुलहिन

Manoj shripati

मैथिली सिनेमा के इतिहास में पहिलुक बेर ई संजोग बनल जे दिल्ली आ कलकत्ता के pvr में 18 oct 2019 से अलग अलग चरण में मैथिली फ़िल्म ‘ लव यू दुलहिन ‘ रिलीज होयत ।पहिलुक चरण में PVR विकासपुरी आ PVR प्रशांत विहार ( रोहिणी ) में 3 – 6 बजे के शो में लागी रहल अछि ।

पारिवारिक मनोरंजक फ़िल्म के भारत सरकार द्वारा U/A सर्टिफिकेट मिलल अछि । मतलब जे अपने सब परिवार के संग सिनेमा देख सके छी । दिल्ली NCR में जतेक PVR सिनेमा अछि , सब मे सिनेमा अगल अलग चरण में लागत । पहिलुक चरण में दर्शक देवता के नीक आशीर्वाद मिलल ते दोसर चरण में पूरा दिल्ली आ कलकत्ता के pvr में एक संग अधिक से अधिक show में लव यू दुलहिन देखायल जायत ।

बिहार आ नेपाल के सिंगल आ मल्टीप्लेक्स में भी रिलीज के तैयारी चलि रहल अछि । मैथिली सिनेमा के हॉल ने मिले छे , ओ समस्या आब ‘टीम लव यू दुलहिन’ जूझे लेल तैयार अछि ।
जरूरत अछि जे आब हमर दर्शक देवता सब सिनेमा का आशीर्वाद दैथ । जिनका जिनका भी टिकट चाही तो अपन नम्बर आ टिकट संख्या लिख के मेसेज कय सके छी ।

Bookmyshows पर बुधवार से टिकट मिलत । 18 – 19 – 20 oct के बुकिंग खुलि गेल अछि । टिकट लेल अपने सब निर्माता महोदय बिष्णु पाठक जी या टीम लव यू दुलहिन से संपर्क कय सके छी ।मैथिली सिनेमा बढ़त में भाषा के भी विस्तार होयत ।

प्रातिक्रिया दे

आपका ईमेल पता प्रकाशित नहीं किया जाएगा. आवश्यक फ़ील्ड चिह्नित हैं *