DARBHANGA (MAITHILI NEWS) : दरभंगाक ऐतिहासिक श्यामा माय मंदिर परिसर में लक्ष्मीश्वरी तारा मंदिर बनि कS तैयार भS गेल। एकर उद्घाटन कुमार राजेश्वर सिंह एवं कुमार कपिलेश्वर सिंह द्वारा संयुक्त रूप सं कयल गेल। एहिसं पहिने कुमार कपिलेश्वर सिंह हवन आ पूजा संस्कार केलनि आ एकरा बाद मंदिरक उद्घाटन कयल गेल। ई मंदिर 100 वर्ष स बेसी पुरान अछि। एकरा महाराज लक्ष्मीश्वर सिंहक अंतिम संस्कारक उपरांत हुनकर छोट भाई महाराजा रामेश्वर सिंह द्वारा 1902 ई. मे बनाओल गेल छल।
कहल जाइत अछि जे मंदिर बहुत पुरान हेबाक कारणे जर्जर भS गेल छल। कुमार कपिलेश्वर सिंह कए जखन मंदिरक जर्जर हालतक जानकारी भेटल तS ओ अपन पूर्वजक चितापर अवस्थित मंदिरक नवीनीकरण करबाक फैसला केलनि। हुनक अथक प्रयासक कारणें मंदिरक जीर्णोद्धार संभव भS सकल। एहि अवसर पर कुमार कपिलेश्वर सिंह द्वारा मंदिरक उद्घाटनक बाद महाप्रसादक वितरण आ विशाल भंडाराक आयोजन सेहो कायल गेल।
सभाकें संबोधित करैत कुमार कपिलेश्वर सिंह कहलनि जे मंदिरक उद्घाटन केलाक बाद हुनका एहि बातक प्रसन्नता भS रहल छनि जे सभटा काज नीक जकां संपन्न भS गेल। हमरा लेल ई बहुत गौरवक क्षण अछि जे हम अपन पूर्वज द्वारा निर्मित मंदिर के जीर्णोद्धार केलहु अछि। ओ कहलनि जे, आन मंदिर सभक सेहो भविष्यमे जीर्णोद्धार कायल जायत।

उद्घाटन कार्यक्रम में मुख्य अतिथि के रूप में आयुक्त मनीष कुमार, डीएम राजीव रोशन, आरएसएस अखिल भारतीय प्रचारक रामकुमार मिश्र, पूर्व एमएलसी प्रो. दिलीप चौधरी, बैद्यनाथ चौधरी बैजू, डॉ. हेम्पती झा आदि सेहो उपस्थित रहथि। मंच पर बैसल अतिथि लोकनिक स्वागत भगवतीक चुनरीसँ कयल गेल । डीएम राजीव रोशन एहि अवसरपर कहला जे दरभंगाक महाराजक शिक्षा क्षेत्रमे कतेको महत्वपूर्ण योगदान देने छथि। हुनका द्वारा कयल गेल काजकें कखनो बिसराओल नहि जा सकैत अछि। ई नीक गप अछि जे हुनका आदर्श मानि हुनक परिवारक अगला जेनरेशन सेहो अपन पूर्वज द्वारा बताओल गेल बाटपर चलि रहला अछि।
मंच संचालन डॉ. संतोष कुमार केलनि। में डॉ. रंगनाथ ठाकुर, डॉ. कैलाश मिश्र, सुजय मिश्र, निर्मल प्रकाश, अरविंद कुमार, उत्सव पराशर, मंजेश चौधरी, आशीष झा, मधुकर, अमर कांत झा, पवन दत्ता, आदित्य नारायण चौधरी मन्ना, रमेशआदि मुख्य रूपसं उपस्थित छलाह।